केपी रिपोर्टर, निभा झा
जनकपुरधाम, ५ साउन । बिगत किछ दिनसँ उँईग रहल प्रचन्ड रौद सँ बढल गर्मीक कारने मधेशक जनजिवन प्रभावित भेल अछि ।
कडा रौदसँ बढल गरर्मीके कारने मधेशक बासिन्दा सबके दैनिक कार्य सेहो प्रभावित भेल अछि जाहिके कारने अखन मधेश प्रदेशक जिल्लाके बजार हाट, कलकारखाना, अफिस अडा सुनसान देखल जारहल अछि ।
लगातार उईग रहल कडा रौँद सँ जनजिवन प्रभावित होबके सँगही ”लु” लागब, बेहोस होईब, सर्दिबोखार लगाईतक बिभिन्न किसिमक समस्या सब देखाई दरहल अछि ।
अहि प्रकारे गर्मिके कारने प्रप्त समचार सबके अनुसार सर्दि बाखारक सँगही ग्रसित बिमारीसब सँ अस्पताल सब भरिभराउँ अछि ।
चिकित्सक सभक अनुसार गर्मीसँ बचके लेल घरसँ नहि बहराई जउँ बहराही परे त, छताके प्रयोग करी सँगही पानी बेसी पिबी ।
तहिना कडा रौँद सँ मधेश प्रदेशक उतरी क्षेत्र मे पानीके मुहानसब सुईख रहलाक कारने पिबबला पानीके सेहो समस्या भरहल अछि ।












